आतंकी गढ़ बनल जा रहल अछि मिथिला

आईबी आओर खुफिया एजेंसी केमुताबिक उत्तरी बिहार के मिथिलांचल इलाका आतंकी अड्डा बनल जा रहल अछि. ई बात बिहारआओर मिथिलाक लेल एकटा बड़का सिरदर्द अछि.
देश मे भेल कइटा आतंकीवारदात मे मिथिलाक लिंक पाएल गेल अछि. पिछला पांच-छह साल मे कइटा आतंकवादी मिथिलासं पकड़ल गेल अछि. दोसर ठाम पकड़ल गेल कइटा आतंकी के लिंक सेहो मिथिला सं जुड़लमिलल अछि.
नेपाल…बांग्लादेश सेजुड़ल बॉर्डर इलाका

आतंकी सभ के लेल सुरक्षित पनाहगारबनल जा रहल अछि.
देश भर मे कतहुं आतंकीवारदात करि बिहार आबि…बिहार सं नेपाल आओर बांग्लादेश भ बाहर निकलय लेल नीक रहैतअछि. एहि लेल इंडियन मुजाहिद्दीन आओर दोसर आतंकी संगठन मिथिला मे अपन पकड़ मजबूतबना रहल अछि.
आतंक संगठन एकरा लेल खाससमुदाय के युवक के ब्रेनबाश करि…बहला-फुसला कs… गलत तरीका सं भड़का कs अपना संग जोड़ैत अछि. धर्म केनाम पर…जेहाद के नाम पर गलत काज कराबैत अछि.
खुफिया एजेंसी के अनुसारदेश भर मे पकड़ल गेल कइटा आतंकी के जे फर्जी पासपोर्ट पकड़ल गेल अछि ओकर पता बिहारके मिलल अछि. ई पता ओहिना तं नहि देल गेल अछि. इलाका के लोक से मिल क देल गेल अछि.आओर इलाका के लोक के मार्फत सं मिलि क बनाएल गेल अछि.
आतंकी सभ अखन पूरा उत्तरबिहार…मिथिलाक इलाका पर अपन तंत्र मजबूत करय पर लागल अछि. एहि मे चंपारण…मुजफ्फरपुर… दरभंगा… मधुबनी… सीतामढ़ी… पूर्णिया… अररिया… सहरसा आओरदोसर बॉर्डर इलाका मे लोक सभ के जोड़ि रहल अछि.
ई इलाका ओहिना पहिने संस्मगलिंग के लेल बदनाम रहल अछि. आम सामान ने तस्करी मे ओना त कमी आएल अछि. मुदा आबहवाला आओर दोसर तरहक तस्करी बढ़ल अछि.
कहल जा रहल अछि जे आईएसआईअपन नेटवर्क काफी मजबूत करि लेने अछि. नेपाल..बांग्लादेश के खुलल बॉर्डर आओरभारतीय सुरक्षा मे कमी के फायदा उठा रहल अछि.
एकटा बात काफी चौंकाबय वालाअछि जे आतंकी सभ अपना संग सिर्फ कम पढ़ल लिखल लोक के नहि जोड़ि रहल अछि बल्कि पढ़ललिखल लोक के सेहो जोड़ि रहल अछि.
एहि मे डॉक्टर… इंजीनियरआओर बाहर जाsक पढ़य वाला लड़का सभ सेहो शामिल अछि. एहन युवक सभ केमन मे कट्टरता भरल जा रहल अछि. ई देश के लेल बड़ खतरनाक गप अछि.
बिहार पुलिसप्रमुख के होम मिनिस्ट्री के तरफ सं एहि बारे मे जानकारी सेहो भेजल गेल. होममिनिस्ट्री क भेजल रिपोर्ट मे आईबी के साफ कहनाय अछि जे नेपाल सं लागल इलाका मेआतंकी संगठन युवक सभ मे अपन पैठ बना रहल अछि आओर ट्रेनिंग द रहल अछि.
आतंकी सभनव-नव इलाका के तलाश करि रहल अछि. ओहि हिसाब सं मिथिलाक ई इलाका सभ सं नीक मानल जारहल अछि आतंकी गतिविधि के शांति सं चलाबय लेल.
मिथिलाकबॉर्डर इलाका मे बताएल जा रहल अछि जे पिछला 15-20 साल मे मस्जिद-मदरसा के संख्या10 गुना सं बेसि बढ़ि गेल अछि. आईएम… आओर आईएसआई एकर मार्फत युवक सभ के जेहादलेल भड़का रहल अछि.
कहल तं इहोज रहल अछि जे नेपाल आओर अरब कंट्री के जरिए आईएसआई एहि इलाका मे काफी पैसा भेज रहलअछि. एहि इलाका मे बनि रहल बड़का-बड़का मस्जिद मदरसा के लेल अरब से पाई आबि रहलअछि.
एकटा गपसेहो चिंताक विषय अछि जे मिथिलाक…बिहारक बॉर्डर इलाका के पढ़ल- लिखल लोक सभ आओरआम लोक जे कमाए-खाए लेल बिहार सं बाहर जा रहल छथिन्ह हुनकर जमीन खास समुदाय के लोकभारी संख्या मे खरीद रहल अछि.
विदेश संआएल पाई के निवेश जमीन…खेत-खलिहान…गाछी मे भ रहल अछि. इलाका के ब्राह्मण…कायस्थ… भूमिहार… दोसर जातिक लोक सभ नौकरी के सिलसिला मे गाम छोड़ि रहलछथिन्ह. 
एहन गामछोड़य वाला लोक सभ के जमीन पर असामाजिक गतिविधि चलाबय वाला लोक के नजर अछि आओर ओ जमीनजथा खरीद सेहो रहल छथिन्ह. एहि पर गौर करय के जरूरत अछि.
बिहार…मिथिलाक ई इलाका देशकेर सभ सं शांत इलाका मानल जाएत अछि. एतय केर बोलि मैथिली सभ सं मीठ मानल जाएतअछि. एहन मिथिलाक पर आतंकी के नजर पड़ि गेल अछि.
ई बड़ खतरनाक . ई इलाका केशांति… सद्भाव… सुरक्षा के लेल नीक नहि अछि. अपन मिथिलाक गौरव के नष्ट होए संबचाबय लेल अहां सभ के आगां आबय पड़त.
इलाका मे कतहुं कोनो किछअजगुत होएत देखिऔ… कोनो एहन गतिविधि देखाय जेहि पर अहां के शक होए… तुंरतपुलिस…खुफिया एजेंसी के ओकर जानकारी दिऔ.
नकली नोट के कारोबार करय वालाहोए… तस्करी करय वाला होए… हथियार आओर गैरकानूनी लेनदेन करय वाला होए…गलतकाज करय वाला होए… ओकरा खिलाफ तुरंत पुलिस के बताबिऔ.
नहि तं एक दिन एहनो आबि सकैतअछि जे अपन बिहार…मिथिला सेहो आतंकी… नक्सली… माओवादी के गिरफ्त मे आबिजाएत. अपना सभ के रहनाय मुश्किल भ जाएत.
उठु अपन मिथिलाके गलत लोक केगिरफ्त मे जाए सं बचाउ.
This entry was posted in आतंकी, तस्करी, दरभंगा, पूर्णिया, मधुबनी, मिथिला, सहरसा. Bookmark the permalink.