+92 सं सावधान…एहि सं बचिsक

+92 सं बचिsक रहब. ईअहांके काफी नुकसान पहुंचा सकैत अछि. अहांके दस तरहक झमेला मे फंसा सकैत अछि.
मुदाकई बेर एहन होएत अछि जे लोक जानल-अनजानल मे एकर जाल मे फंसि जाएत अछि. एहि लेलअहांके एहि सं सावधान रहनाय एकदम जरूरी अछि.
अहांकहबय जे आखिर ई +92 कि छै?

ईपाकिस्तान सं आबय वाला फोन अछि. अहां गौर कएने होएब जे इंडिया मे हमरअहां के जेफोन आबैत अछि ओकरा शुरू मे +91 लिखल रहैत अछि.

+91 इंडिया के कोड अछि. इंडिया मे फोन करय सं पहिने अहां के 0लगाबय पड़त आ फेर +91.
मुदाजखन +91 के जगह +92 सं फोन आबयतं सतर्क भ जाएब. आई-काल्हि +92 सं लोक सभके खूब फोन आबय लागल अछि.
ईएकटा बड़का फ्रॉड के हिस्सा अछि. अहांके एहि फोन सं बड़का चपत लगि सकैत अछि. अहांके बिल सं काफी टका माइनस भ सकैत अछि. आर्थिक नुकसान झेलय पड़ि सकैत अछि.
एहनोभ सकैत अछि जे चूंकि ई नंबर पाकिस्तान के अछि ताही 
लेल अहां दस तरहक झमेला मे सेहोफंसि सकैत छी.
आईहमरो पास एकटा फोन आएल छल. चूंकि आई हमर ऑफ होएत अछि ताही लेल कनि देर तक बिछावनपर पड़ल छलौं.
उठलापर देखय छी जे एकटा मिस्ड कॉल अछि. फोन नंबर छल  +923086922763. फोन के शुरूआतीकोड पर ध्यान नहि द हम अपन आदतक अनुसार मिस्ड कॉल पर फोन करि देलौं.
लागजजे गाम तरफ सं किनको फोन होएतन्हि.
ओम्हरसं फोन उठैबतहि चालू भ गेल जे अहां के वोडाफोन के तरफ सं 25 लाख के इनाम के लेलचुनल गेल अछि.
हमरातुंरत शंका भ गेल जे अगर वोडाफोन की तरफ सं इनाम मिलल अछि तं ओ भोर मे किएक फोनकरत. आ अगर करबो करत तं एकर सूचना ओ डाक सं आ फेर अपन बिल के संग भेजत.
ईबात कहि हम तुरंत ओहि फोन के काटलौं. वोडाफोन के फोन करय लागलौं. मुदा वोडाफोनवाला के कस्टमर केयर के फोन 111 मे ओकर कस्टमर केयर के ककरो सं बात करय के ऑप्शननहि आबैत अछि.
ईवोडाफोन के सभसं बड़का खराबी अछि. एकरा लेल हम ओकर बिल वाला ऑप्शन चुनि ओकर कस्टमरकेयर अधिकारी सं गप करलौं आओर एहि फोन के बारे मे बतएलौं जे ई केहन फोन अछि. हमरालगैत अछि जे ई फ्रॉड अछि.
हमरबात पर सहमति जताबैत ओ सेहो कहलाह जे ई फोन पाकिस्तान सं अछि आओर आई-काल्हिपाकिस्तान आओर दोसर देश सं एहन फ्रॉड…जालसाजी भ रहल अछि जेहि मे अहां के इनामजीतए के झांसा द अहां से रकम ऐंठ लेल जाएत अछि.
ओतुरंत हमर नंबर के हाईलाइट करि देलखिन्ह आओर कहलखिन्ह जे आब अहां के एहन कोनो फोननहि आएत.
अगरअहां सभ के फोन पर एहन कोनो फोन आबय तं ओहि मिस्ड कॉल के जवाब नहि दिअ. जेहि फोनके अहां नहि जानय छी ओहि पर बेसि देर तक गप नहि करु. फेर अगर ओ फोन +91  छोड़ि +92 आ दोसर कोडसं होए तं बात तं एकदम नहि करु आओर तुरंत एकर सूचना अपन फोन सर्विस देबय वाला केदेल करिऔ.
आई-काल्हिईमेल पर सेहो बैंक सं आओर दस ठाम सं फोन आएत जे अहां के ई इनाम मिलल अछि. अहां ईजीतलौं अ. अहां के एहि अवार्ड के लेल चुनल गेल अछि. अहां के एहि नौकरी के ऑफर अछि.
एहिसभ सं बचि क रहुं. कोनो मेल पर अपन बैंक खाता के नंबर… अपन कोनो निजी जानकारीनहि भेजल करु. अपन कोनो पासवर्ड नहि देल करु.
एकरबादहुं फंसि गेल छी एकर सूचना पुलिस आ दोसर अधिकारी के जरूर दी जेहि सं दोसर लोकएहि सं बचि सकय आओर फ्रॉड करय वाला के खिलाफ कार्रवाई भ सकय.
This entry was posted in जालसाजी, फोन, मिस्ड कॉल, वोडाफोन. Bookmark the permalink.

1 Response to +92 सं सावधान…एहि सं बचिsक

Comments are closed.