हाई स्कूल शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्म मिलनाय शुरू

बिहार मे एक सितंबर गुरुवार सं हाईस्कूल शिक्षक पात्रता परीक्षा फार्म मिलनाय शुरू भ गेल अछि. फार्म 9 सितंबर तकमिलत.

भरल फार्म अहां 12 सं 20 सितंबर केबीच जमा क सकय छी. एक बात ध्यान राखब जे जेहि ठाम सं फार्म खरीदब ओहिठाम जमा करब.

फार्म जमा करय के बाद जे रसीद
मिलत ओअहांक एडमिट कार्ड के काज करत. एहि लेल ओहि रसीद के संभालि क राखब.

सरकार के तरफ सं कहल गेल अछि जेपिछला बेर कई सेंटर पर भेल हो-हंगामा के देखैत एहि बेर हर सेंटर पर पांचटा काउंटरबनाएल जाएत.

महिला… विकलांग के लेल आओरएसएस-एसएटी उम्मीदवार के लेल अलग-अलग काउंटर रहत.
पिछला दिन प्राइमरी आओर मिडिल स्कूलके लेल सेहो फार्म भरल गेल छल. ओहि मे लोक सभ काफी संख्या मे फार्म भरलखिन्ह. एतेकलोक फार्म भरलखिन्ह जे सरकार के दोबारा सं फार्म छपबाबय पड़ल.

पात्रता परीक्षा फार्म के दाम आम लोकके लेल डेढ़ सय टका राखल गेल अछि. जखन कि एसएस/ एसटी उम्मीदवार के लेलएकर दाम 75 टका रहत.

तं देर नहि करि जल्दी सं फार्मखरीद… नीक सं पढ़ि ओकरा भरि जमा करि दिअ. फार्म भरला के बाद परीक्षा के तैयारीसेहो शुरू करि दिऔ. अहां सभ के हमर शुभकामना.

This entry was posted in पात्रता परीक्षा, बिहार, शिक्षक, हाई स्कूल, exam. Bookmark the permalink.