>बिल गेट्स फेर आबि सकय छथि बिहार

>

माइक्रोसॉफ्ट के संस्थापक बिल गेट्स फेर सं बिहार दौरा पर आबि सकय छथि. दुनिया के सभसं धनी लोकक सूची मे दोसर स्थान पर रहय वाला बिल गेट्स दान-पुण्य के काज… सामाजिक काज मे सेहो जमि क पाई खर्च करय छथिन्ह.
जतेक कमाई छथिन्ह ओतेक खर्च सेहो करय छथिन्ह. कॉर्लोस सिल्म हेलु… बिल गेट्स… वॉरेन बफे ई सभ दुनिया के एहन अमीर छथिन्ह जे हर साल अरबों रुपया
दान-पुण्य… परोपकार के काज मे खर्च करय छथिन्ह.
पहिने के जमाना मे भारत मे सेहो लोक सभ भलाई के लेल… पुण्य कमाई लेल पोखर… तालाब… धर्मशाला… सराय… अस्पताल… फलक बाग… स्कूल-कॉलेज आओर मंदिर बनाबय छलखिन्ह.
पिछला साल 2010 मे खगड़िया मे  लोक के संग बिल गेट्स

मुदा भारत मे आब एहि तरहक चलन कम भs गेल अछि. भारत मे आब एनजीओ के बाढ़ि आबि गेल अछि. मुदा एनजीओ शब्द सुनतहिं लोक एकरा दोसर नजर सं देखय लागय छथिन्ह.

देश मे सेहो किछ लोक नीक काज क रहल छथिन्ह. मुदा किछ खुदगर्ज लोक के कारण भारत मे एनजीओ शब्द बदनाम जकां भ गेल अछि. एनजीओ के तरफ सं जे रिजल्ट अएबाक चाही से नहि आबि रहल अछि.
आब देखिऔ बिल गेट्स अमेरिका के छथिन्ह मुदा ओ बिहार मे सेहो जनकल्याणकारी काज मे लागल छथिन्ह. राज्य सं पोलिओ उन्मूलन मे लागल छथिन्ह. पिछला साल मई मे बांका आओर खगड़िया सेहो गेल छलखिन्ह.
बिल गेट्स साहेब ‘बिल एंड मिलिंडा गेट्स फाउंडेशन’ के मार्फत सं भलाई के काज मे लागल छथिन्ह. ओ बिहार सरकार के हेल्थ सेक्टर मे भ रहल काज के सराहना करलखिन्ह.
कम्प्यूटर के बादशाह बिल गेट्स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के अपन हाथ सं चिट्ठी लिख क भेजलखिन्ह आओर ओहि मे कहलखिन्ह जे ओ पोलिओ उन्मूलन के क्षेत्र मे राज्य के लेल आओर काज करय चाहय छथिन्ह.
एहि सिलसिला के जारी राखल लेल ओ जल्दीए फेर सं बिहार आबि सकय छथिन्ह. ओ बिहार मे भ रहल काज सं काफी प्रसन्न छथिन्ह. ओ मदद देबय लेल बिहार सरकार सं एकटा सहयोग पत्र पर सेहो दस्तखत करने छथिन्ह.
हिनकर ‘बिल एंड मिलिंडा गेट्स फाउंडेशन’ भलाई… परोपकार के काज मे 1994 सं अखन धरि करीब 24 अरब डालर द चुकल छथिन्ह. एहि मे पिछला साल खर्च कएल गेल धन शामिल नहि अछि.
हिनकर फाउंडेशनक मुख्यरूप सं ध्यान जच्चा-बच्चा सं जुड़ल हेल्थ सेक्टर पर रहय छनि. काफी काज क रहल छथिन्ह मुदा अखनो काफी किछ करय के अछि किएक त अखनो हर साल 80 लाख बच्चा 5 साल के उम्र तक नहि पहुंचि पाबैत अछि.
लोक सभ के सेहो भलाई… परोपकार… जन कल्याणकारी… समाज सेवा के काज मे आगां अएबाक चाही. पाई आओर धने सभ किछ नहि अछि. अहां कोनो तरहे अपन सहयोग द सकय छी.
लोक के जागरूक क sक… शिक्षित करि क… जतय परोपकार काज चलि रहल अछि ओहि मे शामिल भsक. अहां जेहि तरहे एहन काज मे सहयोग करय चाही करु. अपन बड़ ध्यान राखलौं आब कनि दोसरों के राखिऔं.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

99 Labels-Men * 99 Lebals-Women * Deals 4 You * SnapDeal- Deal of the day

This entry was posted in पोलिओ, बिल गेट्स, बिहार, Bihar, bill gates, Nitish. Bookmark the permalink.

Leave a Reply

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out /  Change )

Google photo

You are commenting using your Google account. Log Out /  Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out /  Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out /  Change )

Connecting to %s