>दरभंगा पत्रकार मामला के जांच होएत

>

दरभंगा मे पत्रकार सभ के संग दुर्व्यवहार मामला मे एकटा जांच समिति बना देल गेल अछि. इलाका के पत्रकार सभके संग पटना-दिल्ली आओर दोसर ठामक पत्रकार सभके विरोध के देखैत प्रशासन के मामला के जांच कराबय लेल विवश होए पड़ल.
दरभंगा के एसडीओ के खिलाफ ई जांच नगर निगम आयुक्त श्री लक्ष्मेश्वर झा जीक अध्यक्षता मे होएत. एहि मामला मे दरभंगा के डीएम के तरफ सं एकटा पत्र नगर आयुक्त के पठाएल गेल छनि. पत्रांक 195 दिनांक 28-01-2011 के पत्र मे जांच के रिपोर्ट

जल्द सं जल्द सौंपय के बात कहल गेल अछि.

स्थानीय पत्रकार सभ के कहनाय छनि जे शहर मे एसडीओ के खिलाफ माहौल बनैत देख मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी एहि बारे मे जांच कराबय के आदेश डीएम साहेब के देलखिन्ह… जेहि पर ओ ई कदम उठौलखिन्ह. चलु आखिर डीएम साहेब जगलाह तं.
एम्हर पत्रकार सभ के संग एसडीओ के दुर्व्यवहार मामला पर इलाका के प्रतिनिधि… नेता सभ सेहो खेद प्रकट करलखिन्ह. एहि मामला पर एसडीओ के निंदा करैत हुनका सभ के कहनाय छलन्हि जे जखन पत्रकार के संग हुनकर एहन बर्ताव छनि तं आम आदमी के तकलीफ अहां समझि सकय छी.
मामला 26 जनवरी गणतंत्र दिवस समारोह के अछि जेहि मे दरभंगा के एसडीओ संजय कुमार सिंह शहर के सीनियर पत्रकार सभ के संग दुर्व्यवहार कएने छलाह. एकर विरोध मे पत्रकार सभ अगिला दिन काला दिवस मनौने छलखिन्ह.
एहि मामला पर फेसबुक पर सेहो बड़का अभियान चलि रहल अछि. एसडीओ साहेब के खिलाफ माहौल बनि गेल छनि. देश के कइटा सीनीयर पत्रकार एहि पर अपन रोष जतौलखिन्ह.
पूरा जानकारी के लेल एकरा क्लिक करु.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

99 Labels-Men * 99 Lebals-Women * Deals 4 You * SnapDeal- Deal of the day

This entry was posted in एसडीओ, जांच, दरभंगा, मुख्यमंत्री, Darbhanga, journalist. Bookmark the permalink.

Leave a Reply

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out /  Change )

Google photo

You are commenting using your Google account. Log Out /  Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out /  Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out /  Change )

Connecting to %s