>कोसी के लेल विश्व बैंक केर मदद

>

बिहार… मिथिला के कोसी क्षेत्र केर विकास के लेल विश्व बैंक बिहार के 1000 करोड़ रुपया देत. एहि बारे मे बिहार सरकार आओर विश्व बैंक के बीच एकटा समझौता भेल अछि.
समझौता के मुताबिक विश्व बैंक राज्य के आपदा प्रबंधन के लेल साढ़े चारि हजार करोड़ रुपया के मदद देत. एहि मे सं 1000 करोड़ कोसी

क्षेत्र के लेल अछि.

दू साल पहिने 2008 मे कोसी मे भीषण बाढ़ि आएल छल. ओहि सं पूरा इलाका मे भारी तबाही मचल छल.लाखों लोक प्रभावित भेल छलाह. सरकार के मुताबिक करीब 33 लाख लोक प्रभावित भेल छलाह
विश्व बैंक के तरफ सं जे मदद मिलत ओहि सं कोसी क्षेत्र मे एक लाख घर बनाएल जाएत. एकरे संग 290 किलोमीटर सड़क आओर 90 टा छोट-पैघ पुल बनाएल जाएत.
बाढ़ि सं प्रभावित लोक के लेल रोजगार के साधन सेहो मुहैया करायल जाएत. ओहि टाइम बाढ़ि सं लोक के घर-द्वार… माल-मवेशी सभ बहि गेल छल.
सरकार तरफ सं लोक के बसाबय लेल काफी कोशिश कएल गेल. मुदा अखनो काफी किछ करय के जरूरत अछि. अपन गाम-घर सं विस्थापित भेल लोक के बसाबय के जरूरत अछि.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
This entry was posted in कोसी, बिहार, विश्व बैंक, Bihar, Kosi, world bank. Bookmark the permalink.

Leave a Reply

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out /  Change )

Google photo

You are commenting using your Google account. Log Out /  Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out /  Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out /  Change )

Connecting to %s