>सुर संग्राम-2 फाइनल 19 के

>

महुआ टीवी पर आबय वाला सुर संग्राम -2 के फाइनल एहि बेर फेर पटना के गांधी मैदान मे 19 दिसंबर के होएत. महुआ टीवी के ई भोजपुरी गीत संगीत वाला कार्यक्रम लोक सभ के बीच काफी लोकप्रिय अछि. ग्रैंड फिनाले के महुआ टीवी पर लाइव प्रसारण सेहो होएत.

एहि बेरक ग्रैंड फिनाले मे यूपी के रघुवीर शरण श्रीवास्तव जीक मुकाबला बिहार के तरफ सं गाबय वाली रांची के ममता रावत सं छनि. वाराणसी के रघुवीर जी नेत्रहीन छथिन्ह. अखन मोबाइल वोटिंग चलि रहल अछि जे 19 तक चलत.
पिछला साल भेल ग्रैंड फिनाले मे दूनु कालाकार के सह विजेता घोषित कएल गेल छल. पिछला साल उत्साह एतेक चरम पर छल जे आयोजक कोनो एक गायक के विजेता घोषित क हंगामा ठाड़ नहि करय चाहलखिन्ह.
पिछला बेर के तरह एहि बेर सेहो ग्रैंड फिनाले मे बॉलीवुड के आओर भोजपुरी कलाकार सभ दर्शक के मनोरंजन करथिन्ह. शारदा सिन्हा जी… मनोज तिवारी… मालिनी अवस्थी…कल्पना सेहो अपन गायन सं लोक के मंत्रमुग्ध करथिन्ह. कार्यक्रम मे रविकिशन… संभावना सेठ आओर भोजपुरी के दोसर कलाकार सभ सेहो रहताह.
गांधी मैदान मे होए वाला एहि कार्यक्रम मे बिहार के राज्यपाल आओर उप मुख्यमंत्री के मौजूद रहय के उम्मीद छनि. महुआ टीवी के मालिक पीके तिवारी जी सेहो रहताह. विजेता के पचीस लाख रुपया आओर एकटा बजाज डिस्कवर बाईक देल जाएत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
This entry was posted in Uncategorized. Bookmark the permalink.

Leave a Reply

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out /  Change )

Google photo

You are commenting using your Google account. Log Out /  Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out /  Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out /  Change )

Connecting to %s