विद्यापति स्मृति पर्व समारोह

दिल्ली…नोएडा-एनसीआर मे रहय वाला सभ मैथिल के विद्यापति स्मृति पर्व समारोह के लेल न्योत अछि.  समारोह नोएडा स्टेडियम  परिसर मे शनि दिन ०4 दिसंबर के सांझ  7 बजे सं शुरू होएत.
हि समारोह मे अपन मिथिला के तमाम जानल- पहचानल गायक- गायिका आबि रहल छथि. मैथिली गीतनाद के आनंद लेबय लेल ई अहां सभ के लेल नीक मौका अछि. अहां सभ अपन पूरा परिवार के संग आबि गीतनाद के आनंद उठाबी आओर कलाकार सभ के मनोबल के सेहो बढ़ाबी.
ई अहां सभ के लेल… हमरा सभ के लेल अपन गाम-घर के लोक सभ सं मिलय के सेहो नीक अवसर अछि. बड़ दिन भ गेल अछि एक-दोसरा सं मिलला…गप कएला. आउ एक- दोसरा सं भरि पांज मिलु… अपन सुख-दुख के बारे मे बतिआउ…गीत के आनंद लेबय क संग ठहाका सेहो लगाउ.
त मिलय छी नोएडा स्टेडियम मे शनि दिन सांझके सात बजे.
अहांक इंतजार मे
जय मैथिल – जय मिथिला
This entry was posted in गाम सं दूर गामक गप्प, गीत नाद, नोएडा, मिथिला- मैथिली, सभा-संगत. Bookmark the permalink.

1 Response to विद्यापति स्मृति पर्व समारोह

  1. pankaj jha says:

    bahut nik khbair sunelo , hamra sab ke ta bujhalo nai chhal

    dhanywad

Comments are closed.