>लालू जीक तेजस्वी लांच…

>

आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव जी अपन पुत्र तेजस्वी के राजनीति मे लांच करि देलखिन्ह. अहां कहि सकय छी जे एहि सं राजनीति मे एकटा आओर नेतापुत्र के पदार्पण भेल अछि. आब तेजस्वी एहि बेरक विधानसभा चुनाव मे जमि क प्रचार करताह.

लालूजीक हर अंदाज निराला रहय छनि. अपन क्रिकेटर पुत्र तेजस्वी के बारे मे लालूजी कहलखिन्ह जे अखन ई पॉलिटिक्स मे ट्रेनी अछि… चुनाव प्रचार मे शामिल भ राजनीति के एबीसी सीखताह.


चुनाव लड़य के सवाल पर लालूजी कहलखिन्ह जे अखन तेजस्वी के चुनाव लड़य के उम्र नहि भेलन्हि. अखन कम उम्र के छथिन्ह. जखन उम्र भ जएतन्हि… शादी-विवाह लायक भ जएताह त चुनाव लड़ताह.
तेजस्वी एहि बेरक चुनाव अभियान मे आरजेडी आओर एलजेपी लेल प्रचार करताह. लालूजी तेजस्वी सं बिहारक युवा वर्ग के अपना दिस आकर्षित करय चाहय छथिन्ह. हुनका उम्मीद छनि तेजस्वी के कारण युवा सभ पार्टी सं जुड़ताह.

तेजस्वी के क्रिकेट सं विशेष लगाव छनि. ओ आईपीएल के दिल्ली डेयरडेविल्स टीम मे शामिल छथिन्ह आओर रणजी ट्रॉफी केर खेल छोड़ि क चुनाव प्रचार मे जुटलाह. आब देखल जाए हिनका सं लालू जीके कतेक फायदा मिलय छनि?

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
This entry was posted in आरजेडी, तेजस्वी, प्रचार, बिहार चुनाव, महिला थाना. बिहार, लालू यादव. Bookmark the permalink.

Leave a Reply

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out /  Change )

Google photo

You are commenting using your Google account. Log Out /  Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out /  Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out /  Change )

Connecting to %s