सलमान के बिहार लs जएतीह सोनाक्षी…

सलमान खान के नवका फिल्म आबि रहल अछि दबंग. एहि फिल्मक प्रमोशन के लेल सलमान खान बिहार जएताह. सलमान अपने नहि जा रहल छथिन्ह. हुनका बिहार लsक जा रहल छथीह एहि फिल्मक हीरोईन सोनाक्षी. सोनाक्षी अपन बिहारी बाबू शत्रुघ्न सिन्हा जीक पुत्री छथीह.
सलमान पहिल बेर बिहार जएताह. सलमान बिहार जाए सं डरय छलखिन्ह. मुदा सोनाक्षीक आग्रह आओर सांसद शत्रुघ्न सिन्हा जीक सुरक्षाक भरोस के बाद मना नहि कs सकलखिन्ह. एहि दौरान हुनकर सुरक्षा के पुख्ता इंतजाम कएल जाएत.
दबंग फिल्मक कहानी ओना तं बिहार-यूपी के अछि… मुदा एकर शूटिंग बिहार-यूपी मे नहि भेल अछि. एहि फिल्म मे यूपी-बिहार के अपराध आओर राजनीति के दिखाएल गेल अछि. कहल त इहो जा रहल अछि जे एहि मे बिहारक गलत तस्वीर देखाएल गेल अछि. मुदा जखन धरि फिल्म रिलीज नहि होएत अछि आओर जखन धरि लोक देखि नहि लए छथिन्ह तखन धरि किछ कहनाए …नीक नहि रहत. 

दबंग मे सलमान बात-बात पर खिसिआए वाला भ्रष्ट पुलिस अफसर बनल छथिन्ह… मुदा ओ कॉमेडी सेहो करैत दिखताह. फिल्मक एकटा सीनक खूब चर्चा अछि…जेहि मे शोले के जेलर असरानी जैसन डायलॉग बोलय छथिन्ह… ‘मोटे वाले इस तरफ जाओ … पतले वाले उस तरफ जाओ… जो फिट हैं मेरे पीछे आओ’
पान खाय वाला पुलिस अफसर चुलबुल पाण्डेय के रोल के लेल सलमान खान के किछ मोट सेहो होए पड़लन्हि. एहि फिल्म के लेल हुनका अपन 6 पैक एब्स के खत्म करय पड़लन्हि. ओना सलमान खान के फिल्म होए आओर बॉडी दिखाबय के सीन नहि होए ई तं भs नहि सकैत अछि… मुदा ई सीन मारि-पीट वाला अछि.

फिल्म गीत आओर ट्रेलर देखय लेल क्लिक करु  

मस्त गाने

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,Nitish,Kojagra, Kohbar, Chaurchan, Keoti, Rajnagar, Media Jobs, Career,vidyapati, geetnaad, sohar,mundan, mandan, jha, mishra, Pandey, Lal das,Singh,Sonia, Manmohan, Mamta,pranab, budget, rail,pawani,paag, makhan, Bhagalpur, BSEB,, Motihari, Examination board, LNMU, University,Bihar board, Bihar Flood,Tourism, Kumar,Minister, Maithili songs,

This entry was posted in दबंग, बिहार, सलमान, सोनाक्षी, Bihar, dabang, salman, sonakshi. Bookmark the permalink.