मिथिला सं अछि मदनी…



दिल्ली मे गिरफ्तार आतंकवादी उमर मदनी के बारे मे खुलासा भेल अछि कि ओ अपन मिथिला सं अछि. मदनी मधुबनी जिला के बासोपट्टी प्रखंड सं अछि. गाम भेल बलकटवा. मीडिया मे जखने ई खुलासा भेल कि मदनी मधुबनी के बासोपट्टी सं अछि. मीडिया सं जुड़ल लोक सभ के मदनी के गाम से जमावड़ा होए लागल. ओना गाम के लोक मदनी के बारे मे किछ बताबय सं बचि रहल छथिन्ह. मदनी के गाम के असल नाम मोहम्मद उमेर अछि.
गाम मे मदनी के मां शायरा खातून एकसरे रहय छथीह. मदनी के पिता मो. शम्सुल हक नेपाल के सप्तरी जिला मे मदरसा चलाबैत अछि. मदनी के चारिटा भाई ओआर अछि. मो. जोहैर… मो. उजैर… मो. जुबैर आओर मो. नुमैर. नुमैर के छोड़ि सभ के नाम गाम के वोटर लिस्ट मे अछि. मो. जोहैर के बारे मे कहल जा रहल अछि जे ओ दिल्ली मे अरबी भाषा के प्रोफेसर छथिन्ह. एकटा भाई अरब मे रहैत अछि. सभ भाई बाहरे रहय छथि आओर बीच-बीच मे मां सं मिलय लैल आबैत रहय छथि.
अहां के ई जानि के अचरज होएत जे बासोपट्टी के एकटा आओर आरोपी अछि मो. कमाल. मो. कमाल सेहो मुम्बई विस्फोट के आरोपी अछि. कमाल फिलहाल जेल मे अछि. कहल जाएत अछि जे मदनी मधुबनी के कइटा लोक के आतंकी प्रशिक्षण द चुकल अछि. आओर मिथिला सं जुड़ल लोक के लश्कर सं जोड़य लेल… भर्ती करय लेल पाई के इंतजाम सेहो करैत छल. खबर त सेहो छै जे मदनी के तार नेपाल सं सेहो जुड़ल अछि. मदनी फिलहाल पुलिस रिमांड मे अछि. मुदा मिथिला के लोक सभ के गंभीरता सं एहि बारे मे विचार करय पड़तन्हि. बीच-बीच मे खुफिया रिपोर्ट सेहो छपैत रहैत अछि जे नेपाल सं जुड़ल इलाका मे आईएसआई के गतिविधि बढ़ल अछि. आतंकी बिहार के सीमावर्ती इलाका के भोला-भाला…मासूम लोक के अपन निशाना बना रहल अछि.

जाति…धर्म…बिरादरी…नौकरी के नाम पर… पाई देबय के नाम पर अपना संग जोड़ि रहल अछि… बहका रहल अछि. सरकार के एहि दिशा मे ध्यान देबय के जरूरत अछि नहिं त जम्मू-कश्मीर… असम जकां बिहार के हाल सेहो खराब भ सकैत अछि. नक्सल एकटा बड़का समस्या त अछिए. बॉर्डर इलाका मे गरीबी सेहो बड़ अछि. बाढि सं हर साल परेशान रहैत छथि लोक सभ. रोजगार के कोनो ठोस उपाय नहिं. केहुना कs गुजारा होएत अछि. पेट भरय लेल पंजाब…हरियाणा… असम… दिल्ली…मुम्बई के रास्ता देखय छथिन्ह. मुदा सभ ठाम दुतकारल जाएत छथि. एहन मे लोक त खाली पेट कोनो आतंकी संगठन के सॉफ्ट टारगेट बनिए सकैत अछि. अहांक कि कहबाक अछि ? एकरा सं बचय के कि उपाय अछि ?

Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites

http://origin-img.shaadi.com/shaadi-rewards/get-banner.php?ptnr=ns5ed&banner_type=buttons&banner_size=468×60&ad_type=iframe
TwitIMG

Webmasters Make $$$




This entry was posted in बिहार, मिथिला- मैथिली, Desh-Dunia. Bookmark the permalink.