>आकाशवाणी सं मैथिली संगीत

>

मैथिल लोक के लेल एकटा नीक खबर अछि. आकाशवाणी केंद्र दरभंगा सं आब मैथिली मे सुगम संगीत के प्रसारण होएत. शुरू मे मैथिली सुगन संगीत के प्रसारण दु दिन होएत जकरा बाद मे बढ़ा कs सभ दिन करि देल जाएत. एहि मे मैथिली गीतनाद… भजन… गजल के प्रसारण होएत. एहि कदम सं त मैथिलीक लोकप्रियता त बढ़बे करत गायक… संगीतकार आओर गीतकार सभ के रोजगार सेहो मिलतन्हि. दरभंगा आओर आसपास के इलाका के लोक सभ एकर फायदा उठा सकय छथिन्ह. एकटा नीक गप्प आओर ई अछि जे एकटा गीतकार सं साल मे पांचेटा गीत लेल जएतन्हि . एकर फायदा ई होएत जे साल मे सय… सवा सय कलाकार के… गीतकार के मौका मिलतन्हि. गीतकार के गीत के सवा 6 सय रुपया के हिसाब सं पाई देल जएतन्हि. एकरे संग गायक के साढ़े 9 सय आओर संगीतकार के साढ़े बारह सय रुपया देल जाएत. एकरा लेल कलाकार के चयन आओर स्वर परीक्षा प्रक्रिया शुरू कs देल गेल अछि. आवेदन लेल जा रहल अछि. 24 फरवरी सं 27 फरवरी धरि स्वर परीक्षा लेल जाएत. चुनल कलाकार के डाक आओऱ फोन सं सूचित करि देल जाएत.

दरभंगा आकाशवाणी सं मैथिली मे समाचार बुलेटिन शुरू होए के बादहिं सं मैथिली मे सुगम संगीत के कार्यक्रम शुरू करय के मांग भs रहल छल. आकाशवाणी महानिदेशालय सं एकर अनुमति सेहो मिलि गेल अछि. मैथिली के मान्यता मिलला केर बाद सं एकर विकास के लेल काज भs रहल अछि. आगां जाs क मैथिली के आओर कार्यक्रम सभ शुरू भs सकैत अछि. बस बीच…बीच मे नेता सभ…अफसर सभ के हुरकारैत रहय के जरूरत अछि.

This entry was posted in मिथिला- मैथिली. Bookmark the permalink.

2 Responses to >आकाशवाणी सं मैथिली संगीत

  1. JHA RAJNISH says:

    >bahut nik khabar achi, aur ham chahb je hello mithila khabar ke sath sath apan sahyog ahi nik karya me da project ke safal bana ka darbhanga akashbani san maithili gana bajana pure bihar me gunje , hamar subhkamna ahan sabhak sang achi,RAJNISH KUMAR JHA AT & POST BARHARA THANA : BABUBARHIDIST: MADHUBANIBIHAR (847401 )MO. 09810591823 09868028923

Leave a Reply

Fill in your details below or click an icon to log in:

WordPress.com Logo

You are commenting using your WordPress.com account. Log Out /  Change )

Google photo

You are commenting using your Google account. Log Out /  Change )

Twitter picture

You are commenting using your Twitter account. Log Out /  Change )

Facebook photo

You are commenting using your Facebook account. Log Out /  Change )

Connecting to %s