इन्द्रपूजा केर धूम

मिथिलाक किछ इलाका मे आई काल्हि इंद्रपूजा केर धूम अछि. कोसी केर बाढ़ि के कारण ओना एहि बेर उत्साह किछ कम अछि. दरभंगा राज कैम्पस... मधुबनी बाजार… राजनगर… झंझारपुर… बासोपट्टी कईठाम जोरशोर सं इंद्रपूजा भs रहल अछि. इंद्रपूजा केर शुरुआत शुक्रदिन 12 तारीख के भेल आ ई रवि दिन 21 सितम्बर तक चलत. दरभंगा मे पहिने बड़ धूमधाम सं होइत छल मुदा आब कहि सकय छी एकटा औपचारिकता टा निभाएल जाएत अछि. मुदा मधुबनी…राजनगर मे अखनो लोक मे उत्साह देखल जा सकैत अछि. पूरा बाजार बिजली… बत्ती… झालर रंग बिरंगा पताका… दोकान सभ सं चमकैत रहैत अछि. इंद्रपूजा मे दूर -दूर सं लोक सभ आबैत छथिन्ह. पूजा केर तैयारी मास-दू मास पहिने सं भs जाएत अछि. भरि पूजा रंगीनी बनल रहैत अछि. मेला मे ऑर्केस्ट्रा… थियेटर… मौत केर कुआं… लक्ष्मण झूला… मीना बाजार… नाच गान सभ के व्यवस्था कएल गेल अछि. राजनगर के लाइब्रेरी मे बड़का स्तर पर पूजा केर आयोजन कएल जाइत अछि. एहिठाम भरि पूजा चौबीसों घंटा भीड़ लागल रहैत अछि. बाजार सजल रहैत अछि. एहि बेर सेहो नाच-गान सं लs क मनोरंजन के नीक इंतजाम कएल गेल अछि.


This entry was posted in पावनि- त्योहार, मिथिला- मैथिली. Bookmark the permalink.